logo
  • २०८२ असार ३२ | Wed, 16 Jul 2025
  • मन्त्रिपरिषद्‌सँ मधेश प्रदेशक बजेट पारित

    मन्त्रिपरिषद्‌सँ मधेश प्रदेशक बजेट पारित

    निरन्जन साह
    महेन्द्रनगर (धनुषा), १ अखारः मधेश प्रदेश सरकारद्वारा अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल प्रस्तावित बजेट आइ जनकपुरधाम स्थित मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्‌ कार्यालयमे भेल बैसारसँ पारित कएल गेल अइछ।

    मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह जानकारी दैत कहलैन, “मन्त्रिपरिषद्‌क बैसारसँ बजेट पारित भ चुकल अइछ। आब प्रदेश सभाक बैसारमे अर्थमन्त्री बजेट प्रस्तुत करत।”

    ओ कहलैन जे प्रदेशक अर्थमन्त्री सुनिल कुमार यादवद्वारा प्रदेशसभामे बजेट वक्तव्य पेश करबाक कार्यक्रम तय कएल गेल अइछ।

    प्रदेश सरकार किछु दिन पहिने अगिला आर्थिक वर्षक नीति तथा कार्यक्रम सार्वजनिक क चुकल अइछ। ओइ नीति तथा कार्यक्रममे उल्लिखित प्राथमिकता, लक्ष्य आ घोषणा सबके कार्यान्वयन लेल अगिला वर्षक बजेट वित्तीय आधार बनत आ अपेक्षित परिणाम देत, से विश्वास राखल गेल अइछ। रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार २, सोमबार ००:०२
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP