सिरहा, १० अखारःजिला सिरहाक प्रमुख प्रशासनिक केन्द्र सिरहा सदरमुकाममे सार्वजनिक शौचालय नै भेलाक कारणसँ आम जनताकेँ भारी कठिनाइ होइत अइछ । तइयो सिरहाके वर्षौं पहिने खुला दिसामुक्त जिला घोषणा कएल गेल छल, मुदा एखनधैर सदरमुकाममे एकोटा सार्वजनिक शौचालय बनल नै अइछ ।
जिला प्रशासन कार्यालय, भूमिसुधार तथा मालपोत कार्यालय, जिला अदालत, जिला प्रहरी कार्यालय, नापी कार्यालय जकाँ मुख्य सरकारी कार्यालयसभ इएह सदरमुकाममे अवस्थित छै । एहि ठाम विभिन्न गामसँ सेवाग्राही अपन काज लेल अबैत छैथ । काज पूरा भेलाक बाद जखन घर जाए लेल सोचैत छैथ, तखन सार्वजनिक शौचालय नै हएबाक कारण कठिनाइमे परैत छैथ । विशेष क महिलासभकेँ बेसी समस्याक सामना करए पड़ैत छै ।
सिरहा नगरपालिका सार्वजनिक शौचालय निर्माण आ व्यवस्थापनमे लापरवाही करैत छै, जाहिसँ सेवाग्राही मात्र नै, नगरके छवि सेहो खराब भेल स्थानीय व्यक्तिसभके कहब अइछ । करोड़़ौं टका खर्च कएल गेल भौतिक पूर्वाधार निर्माणक बावजूद नगरपालिकाद्वारा एहन आधारभूत पूर्वाधार जकाँ सार्वजनिक शौचालय निर्माणपर धीयान नै देनाइप्रति जनतामे गहिर असन्तोष अइछ ।
सिरहा नगरपालिका–२ क वाडसदस्य शम्भु साह कहलैन, “वाडसँ निर्वाचित भेलाक बाद हम अनेक बेर सार्वजनिक शौचालय बनबाक मांग कएलाैँ, मुदा नगर प्रमुखसहित अन्य पदाधिकारीसभ कखनो धीयान नै देलैन ।” ओ कहलैन जे स्थानीय सरकार गठन भेल २०७४ सालसँ पहल कएल गेल छल, तथापि एखनधैर शौचालय निर्माण नै भ सकल अइछ ।
स्थानीय व्यवसायीसभक अनुसार सड़क यात्री आ ग्राहकसभ शौचालयक अभावमे सबदिन कठिनाइ भ रहल अइछ । स्थानीय युवानेता भोगेन्द्र साह कहलैन, “नगरक स्वच्छता, सुन्दरता आ मानव मर्यादाक रक्षा लेल सार्वजनिक शौचालय अनिवार्य अइछ ।” ओ नगरपालिकासँ तुरन्त निर्माण आ व्यवस्थापन करबाक मांग कएलैन ।
सिरहा–२२ क वाडध्यक्ष जिवछ नारायण यादव कहलैन, “सदरमुकाममे सार्वजनिक शौचालय नै रहब नगरपालिकाक लेल लाजसरमके बात अइछ । आब अगिला नगरसभा बैसारमे बजेट विनियोजन करैत शौचालय निर्माण लेल ठोस प्रस्ताव राखल जाएत ।”
सदरमुकाममे सार्वजनिक शौचालयक अभाव स्थानीय तहक सुशासन, समावेशी विकास आ जनहितक सवालपर विफलता देखाबैबला स्पष्ट उदाहरण बइन गेल अइछ । नगरपालिकाक प्रमुख डा. नवीन कुमार यादव कहलैन ” सार्वजनिक शौचालय निर्माण प्राथमिकतामे अइछ आ शीघ्र कार्य प्रारम्भ कएल जाएत ।” शहरी विकास आ स्वच्छता अभियान अन्तर्गत विभिन्न स्थानमे शौचालय निर्माणक दीर्घकालीन योजना बनाएल गेल आ स्थानीय नागरिक, जनप्रतिनिधि आ सरोकारवाला निकायसँ समन्वय क शौचालयक टिकाउ व्यवस्थापन सुनिश्चित कएल जेबाक ओ बतौलैन ।रासस
प्रतिक्रिया