सिरहा, २९ अखार : सिरहाके औरही गाउँपालिका–५ स्थित मलाह टोलसँ दू क्विन्टलसँ बेसी अवैध लागुऔषध गाँजासहित एक युवककेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ । जिला प्रहरी कार्यालयक सूचना अधिकारी वीरेन्द्र कुमार पासवानक अनुसार पकड़ाएल व्यक्ति स्थानीय २३ वर्षीय राम उदगार मलाह छैथ । हनुका शुक्रदिन राइतमे विशेष सूचनाक आधारपर लागुऔषध गाँजा सहित नियन्त्रणमे लेलक अइछ । सूचना अधिकारी पासवानके अनुसार मलाहकेँ प्र २–०१–००३ प २१५४ नम्बरके मोटरसाइकलमे सातटा पोकिटमे राखल दू सओ १२ किलो ९२५ ग्राम गाँजा गिरफ्तार कएल गेल छल । गोप्य सूचनाक आधारमे जिला प्रहरी कार्यालय सिरहा आ प्रहरी चौकी औरहीसँ खटल संयुक्त टोली उक्त गाँजा पकड़लक अइछ । प्रहरीकेँ देखलाक बाद घटनास्थलसँ गाडीसहित अन्य किछ व्यक्ति भागल छल । भागल व्यक्तिसभके खोजी भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।
प्रतिक्रिया