काठमाण्डू। नेपाली कांग्रेसक नेता श्याम कुमार घिमिरे पार्टीमे रहल विवादकेँ समाधान करबाक लेल नेतासभक बीच बातचित आ वार्ता सकारात्मक रूपमे आगू बढ़ल बताैलैन अइछ ।
पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपा, ललितपुरमे कांग्रेस केन्द्रीय समिति बैसार सुरू हाेएसँ पहिने सञ्चारकर्मीकेँ प्रतिक्रिया दैत ओ पार्टीके नेताबीच विवाद समाधानक लेल बातचित भ रहल जानकारी देलैन अइछ । पार्टीके निवर्तमान प्रमुख सचेतक सेहो रहल घिमिरे कहलैन, “वार्ता भ रहल छै, वार्ता एकटा परिणाम लेत से हमरासभके विश्वास छै । आइ राइतेभैरमे एकटा सहमतिके विन्दुमे पहुँचब, काइल पार्टीकेँ एक भ क आगू बढ़ाएब।”
वार्ता प्रक्रिया चइल रहलासँ केन्द्रीय समितिके बैसार समयेमे सुरू नै भ सकल हुनकर कहब छैन । दुपहर १ः०० बजे बोलाएल गेल केन्द्रीय समिति बैसार ई समाचार तैयार करैत काल सुरू नै भ सकल अइछ ।
कांग्रेसके विशेष महाधिवेशन पक्षधर महामन्त्रीद्वय गगन कुमार थापा आ विश्वप्रकाश शर्माके अगुवाइमे काठमाण्डूके भृकुटीमण्डपमे इएह पुस २७ गतेसँ आयोजित विशेष महाधिवेशनके बन्दसत्र अखनो भ रहल अइछ ।
प्रतिक्रिया