काठमाण्डू, ४ अखारः नेपालके लेल पाकिस्तानक राजदूत अब्रार एच हाश्मी राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)मे प्रदर्शनीके तस्बिर सुन्दर आ शिक्षाप्रद भेल बताैलैन अइछ ।
अठारहम गणतन्त्र दिवसके अवसरमे रासस आयोजित ‘पर्वतीय पर्यटनः अपन शान, अपन पहिचान’ विषयक तस्बिर प्रदर्शनीके अवलोकनबाद आइ ओ तस्बिर प्रदर्शनीमे अन्वेषणयोग्य विषय रहल उल्लेख कएलैन । राजदूत हाश्मी कहलैथ, “हिमालमे नहियो जा क, हमरा राससके रिपोर्टर आ फोटोग्राफरसभके लेन्समार्फत उक्त दृश्यसभ देखए सकलाैँ । तस्बिरकेँ एहि प्रदर्शनीधैर आनै लेल सबकेँ बहुत–बहुत धन्यवाद ।” ओ रासस व्यवस्थापक पक्षसङ तस्बिरकेँ पुस्तक बनेबाक सुझाव देलैन ।
उक्त अवसरमे राससके कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा पर्वतीय पर्यटन विकासके सम्भावना उजागर करैत जलवायु परिवर्तनके जोखिम न्यूनीकरणबारे अन्तर्राष्ट्रीय जगत्मे सन्देश देबाक उद्देश्य तस्बिर प्रदर्शनी आयोजन कएल गेल बतौलैन ।
जेठ ११ गतेसँ सुरू भेल प्रदर्शनीमे नेपालके पूर्वसँ पश्चिमधैर विभिन्न हिमशृङ्खला, हिमाली जनजीवन तथा प्रमुख पर्यटकीय गन्तव्यसम्बन्धी ९६ तस्बिर राखल गेल छै ।
प्रतिक्रिया