logo
  • २०८२ फाल्गुन ३ | Sun, 15 Feb 2026
  • मोटरसाइकल दुर्घटनामे दू व्यक्तिके मृत्यु

    मोटरसाइकल दुर्घटनामे दू व्यक्तिके मृत्यु

    राजविराज (सप्तरी), ८ अखार : हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–१ भलुवा जाएबला बाँधके भित्री सड़क खण्डमे आइ दू टा मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकर देलासँ दूनु व्यक्तिके मृत्यु भेल अइछ तँ एक गोटे घायल भेल अइछ ।

    कङ्कालिनी मन्दिरसँ भलुवादिस जाए रहल को १० प ५६२ नम्बरके मोटरसाइकल आ विपरीत दिशासँ आइब रहल बा ५५ प ६६३९ नम्बरके मोटरसाइकल एकआपसमे ठोकर देलासँ दुनु चालकके मृत्यु भेल अइछ ।

    इलाका प्रहरी कार्यालय कञ्चनपुरके प्रहरी नायब उपरीक्षक माधवप्रसाद काफ्ले अनुसार बा ५५ प ६६३९ नम्बरके मोटरसाइकल चालक सप्तरीके शम्भुनाथ नपा–११ राजपुर निवासी वर्ष १९ क अविनाश मण्डल आ को १० प ५६२ नम्बर मोटरसाइकल चालक कञ्चनरूप नपा–१ बैरवा निवासी वर्ष ३४के ओमप्रकाश पञ्जियारके मृत्यु भेल अइछ । मण्डलके इलाजक क्रममे राजविराजस्थित गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पतालमे आ पञ्जियारके विराटनगरस्थित न्युरोमे इलाजक क्रममे जान गेल प्रहरीके कहब अइछ । तहिना को १० प ५६२ नम्बरके मोटरसाइकलके पछाडि सवार कञ्चनरुप–१ कै वर्ष ३० के सुभास महतो घायल भेल छैथ । ओ इलाजबाद घर पठाएल गेल आ दुर्घटना सम्बन्धमे अन्य अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय जनौलक अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार ८, आईतवार २१:३७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP