काठमाण्डू, ५ माघः युवा तथा खेलकुदमन्त्री बब्लु गुप्ता मन्त्री पदसँ राजीनामा देलैन अइछ ।
अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे उम्मेदवारी देबाक तैयारी कएलाक बाद मन्त्री गुप्ता पदसँ राजीनामा देलैन अइछ । “उम्मेदवारी देबाक सिलसिलामे हम अखन सिरहामे छी ।
इमेलमार्फत प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालयमे राजीनामा पठौने छी,” रासससँ बातचित करैत ओ कहलैन, “हमर राजीनामाके बारेमे टेलिफोनमार्फत प्रधानमन्त्रीकेँ जानकारी कराइब चुकल छी ।” जेनजी आन्दोलनक बाद गठन भेल सरकारमे ओ युवा तथा खेलकुद मन्त्रालयके जिमेवारी सम्हारने छलैन । वर्तमान सरकारमे ओ जेनजी पुस्ताके प्रतिनिधित्व कएने छलैन ।
प्रतिक्रिया