महेन्द्रनगर (धनुषा)। मधेश प्रदेशक सभामुख रामअशिष यादव सामुदायिक विद्यालयके शैक्षिक गुणस्तर अभिवृद्धिके लेल प्रधानाध्यापकके भूमिका नेतृत्वदायी होबाक बतौलैन अइछ ।
जनकपुरधामस्थित श्री आधारभूत विद्यालय मानसिंहपट्टि, तेतरियामे बुधदिन आयोजित ‘शिक्षा स्तरीयताके लेल सभामुखसँ प्रधानाध्यापकसभक अन्तरक्रिया” कार्यक्रममे ओ शिक्षक, अभिभावक, समाज तथा स्थानीय जनप्रतिनिधिसभसँ समवंय आ सहकार्य क शिक्षा क्षेत्रक समग्र सुधार सम्भव होबाक विचार व्यक्त केलैन ।
विद्यालयकेँ शैक्षिक रूपान्तरणके केन्द्रक रूपमे विकास करबापर जोड़ दैत सभामुख यादव ओइ लेल प्रधानाध्यापकसभकेँ व्यवस्थापन, अनुगमन आ नेतृत्वमे सक्रिय भूमिका निर्वाह करबाक लेल आग्रह केलैन । गुणस्तरीय शिक्षाके लेल तीनू तहके सरकार बीच प्रभावकारी समवंयमार्फत व्यावहारिक, प्रविधिमैत्री आ प्रतिस्पर्धात्मक शिक्षा बनेबाक चाही से ओ धारणा व्यक्त केलैन ।
कार्यक्रममे मधेश प्रदेश नीति आयोगक पूर्वउपाध्यक्ष प्रा. डा. भोगेन्द्र झा शिक्षाके विकास बिना कोनो देश या प्रदेश समृद्ध नै होबाक स्पष्ट केलैन । सामुदायिक विद्यालयके वर्तमान अवस्था चुनौतीपूर्ण रहल आ सुधारक लेल नीति निर्माणसँ कार्यावंयन तहधैर गम्भीरता अपनेबाक लेल ओ जोड़ देलैन ।
कार्यक्रममे विभिन्न विद्यालयके प्रधानाध्यापकसभ अपन–अपन विद्यालयके अनुभव, समस्या तथा सुधारक बारेमे धारणा व्यक्त कएने छलैन । ओसभ शिक्षक अभाव, भौतिक पूर्वाधारके कमी, प्रविधिके अभाव तथा अभिभावकके न्यून सहभागिता जेहन चुनौतीसभ प्रस्तुत कएने छलैन ।रासस
प्रतिक्रिया