
काठमाण्डू, ३१ जेठः भारत सरकार नेपालक विभिन्न जिलामे स्वास्थ्य संस्थासभकेँ ४० टा एम्बुलेन्स उपहारस्वरूप प्रदान कएलक अइछ। भारतीय दूतावासद्वारा आइ काठमाण्डू, वीरगञ्ज, पोखरा आ धरानमे विशेष कार्यक्रमक आयोजना क एम्बुलेन्स हस्तान्तरण कएल गेल। दूतावासक विज्ञप्ति अनुसार सातुटा प्रदेशक ३३ जिलामे विभिन्न स्वास्थ्य संस्थासभकेँ ई एम्बुलेन्स उपहार स्वरूप प्रदान कएल गेल अइछ। काठमाण्डूमे आयोजित कार्यक्रममे भारतीय दूतावासक नियोग उपप्रमुख प्रसन्न श्रीवास्तव बागमती, कर्णाली, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक विभिन्न नगरपालिका आ गाउँपालिकाक प्रमुखसभकेँ २२ टा एम्बुलेन्सक चाबी हस्तान्तरण कएलैन। वीरगञ्ज आ पोखरामे सात–सातटा तथा धरानमे चारटा एम्बुलेन्स प्रदान कएल गेल अइछ। उपप्रमुख श्रीवास्तव कहलैन, “भारत–नेपाल विकास साझेदारीअन्तर्गत नेपालक स्वास्थ्य पूर्वाधार मजबूत बनेबाक दिशामे ई सहयोग महत्वपूर्ण अइछ। ई उपहार भारत सरकारक दीर्घकालीन पहलके हिस्सा छी, जे भारत–नेपालबीच सात दशकसँ चइल आइब रहल गहिर सम्बन्ध आ सहयोगक निरन्तरता अइछ।” एम्बुलेन्स प्राप्त करैबला संस्थासभक प्रतिनिधिसभ भारत सरकारक निरन्तर सहयोग प्रति आभार प्रकट करैत कहलैन जे ई एम्बुलेन्ससभ ग्रामीण आ दुर्गम क्षेत्रधैर स्वास्थ्य सेवा पहुँचेबामे सहयोगी होएत। भारत सरकार सन् १९९४ बाद नेपालभैर स्वास्थ्य संस्थासभकेँ एक हजार ४९ टा एम्बुलेन्स उपहार स्वरूप प्रदान क चुकल अइछ। एकर अतिरिक्त शिक्षा, निर्वाचन आ सार्वजनिक सेवा क्षेत्रमे तीन दशकसँ स्कूल बससँ ल क विद्युतीय सवारीसाधनधैर विभिन्न सहयोग दैत आइब रहल अइछ। विज्ञप्तिमे जनाएल गेल अइछ जे नेपालक विभिन्न शैक्षिक संस्थासभकेँ ३०० टा स्कूल बस, सन् २०२२मे निर्वाचन संचालन लेल कानुन कार्यान्वयन निकाय आ निर्वाचन आयोगकेँ २०० टा सवारीसाधन आ हाल सम्पन्न ‘सगरमाथा संवाद’क आयोजनमे परराष्ट्र मन्त्रालयकेँ १५ टा विद्युतीय सवारी प्रदान कएल गेल छल। दूतावासक अनुसार, ई सहयोग भारत–नेपालबीच बहुआयामिक विकास साझेदारीकेँ आओर मजबूती देबाक उद्देश्यसँ कएल गेल अइछ, जाहिसँ दुइ देशक सम्बन्ध आओर सुदृढ होएत।
प्रतिक्रिया