राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
जलेश्वर (महोत्तरी), १३ अगहनः जेनजीके आन्दोलनक क्रममे बितल भादब २४ गते महोत्तरी जिलाके जलेश्वर कारागारसँ भागेका कैदीबन्दीमध्ये २७३ गोटे अखनो भागल अइछ ।
जलेश्वर कारागारसँ भागल ४० भारतीयसहित ५७६ कैदीबन्दी मध्ये ३०३ गोटे फिर्ता आएल जेलर अशोक कुमार क्षेत्री बतौलैन । हुनक कहब अनुसार अखनो भागल कैदीबन्दी अएबाक क्रम जार अइछ ।
कारागार तोइड़ क भागल कैदीबन्दीकेँ भादब २५ गते कारागार प्रशासन फिर्ता होबाक आह्वान कएने छल । फिर्ता नै आबैबला कैदीबन्दी उपर कारागार ऐन २०७९ आ अन्य नेपालके प्रचलित कानुन बमोजिम कारबाही होबाक तथा कैदीबन्दीकेँ नुकाबैबला, वा आश्रय देनिहार व्यक्ति उपर कानुन बमोजिम कारबाही करबाक जेलर क्षेत्री बतौलैन ।
जलेश्वर कारागारसँ भागल १३ कैदीबन्दीकेँ भारतीय प्रहरी गिरफ्तार क पुनः कारागार अनबाक लेल मद्दत कएने छल तँ बाँकी कैदीबन्दी अपने स्वेच्छासँ कारागारमे फिर्ता भेल छैथ । भागल कैदीबन्दीके खोजतलाश क रहल प्रमुख जिला अधिकारी ईन्द्रदेव यादव बतौलैन ।
प्रतिक्रिया