काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की सङे निर्वाचन आयोगक पदाधिकारीसभसँ आसन्न प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनक लेल जारी होएबला निर्वाचन आचारसंहिताक विषयमे जानकारी कराएल गेल अइछ ।
निर्वाचन आयोगक कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी सहित आयुक्त आ उच्च अधिकारीसभ प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ भेट क उक्त जानकारी करेबाक सङे निर्वाचनक व्यवस्थापन आ तैयारीक विषयमे बातचित भेल अइछ ।
आयोग निर्वाचनक लेल अगिला माघ ३ गतेसँ निर्वाचन आचारसंहिता जारी करबाक प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ जानकारी कराएल गेल अइछ । भेटक अवसरमे अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल, शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री महावीर पुन, कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिलामन्त्री अनि कुमार सिन्हा, मुख्यसचिव सहित सहभागी रहल प्रधानमन्त्रीक सचिवालय जनौने अइछ ।

प्रतिक्रिया