सिरहा, १५ माघः हुलाकी राजमार्गअन्तर्गत सिरहा आ धनुषा सिमानामे रहल कमला नदीमे अस्थायी ‘डाइभर्सन’ निर्माण भेलाक बाद सवारी आवत–जावत सहज भेल अइछ । सालोसँ टुटल पुलके विकल्पमे ‘ह्युमपाइप’ राइख क डाइभर्सन बनौलाक बाद छोट सवारीसाधन संचालनमे आसान भेल अइछ ।
हप्ता दिनसँ सार्वजनिक सवारी आवत–जावत सुरु भेल जानकारी दैत सिरहा नगरपालिका–६ के वाड अध्यक्ष इन्द्रजित यादव कहलैन, “अखन सब प्रकारक सवारीसाधनसभक आसान आवत–जावत सुरु भेल छै । अइसँ स्थानीय नागरिकके आ छोट रुटसँ मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुर जाएबला यात्रीकेँ बड़का राहत भेल छै ।”
बितल अगहन ५ गते निवर्तमान भौतिक पूर्वाधारमन्त्री कुलमान घिसिङ पुलके स्थलगत अनुगमन करैत पुनर्निर्माणके काज तत्काल आगु बढ़ेबाक लेल निर्देशन देने छलैन । ओइ क्रममे मन्त्री घिसिङ काज सन्तोषजनक नै भेलापर ठेक्का तोड़बाक चेतावनी दैत तत्काल अस्थायी रूपमे आवत–जावतके व्यवस्था करबाक लेल सेहो निर्देशन देने छलैन । घिसिङके निर्देशन लगले निर्माण कम्पनी ह्युमपाइप राइख क डाइभर्सन तैयार केलक अइछ ।
अइसँ पहिने यात्रीके स्थानीय युवाद्वारा बनाएल गेल बाँसक पुलपर शुल्क द क जोखिमपूर्ण यात्रा करबाक बाध्यता छल । चौध साल बाद पुल निर्माण अन्तिम चरणमे विगत १४ सालसँ अलपत्र अवस्थामे रहल पुलक निर्माण काज अन्तिम चरणमे अइछ । अगिला अखार महिनाधैर निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्यसँ अखन दैनिक ४० सँ ५० गोटे कामदार ‘फिनिसिङ’ आ मर्मतके काजमे खटल निर्माण कम्पनी जनौलक अइछ ।
पप्पु लुम्बिनी जेभी ठेक्का प्राप्त कएलाक बादो पप्पु कन्सट्रक्सन कारी सूचीमे भेलाक बाद अखन लुम्बिनी बिल्डर्स काज क रहल अइछ ।
निर्माण कम्पनीके साइट इन्चार्ज सुदीप थापा कहलैन, “हमसभ बाँकी संरचनात्मक काजसभ द्रूत गतिमे क रहल छी । अखार महिनाधैर पुलसँ सवारीसाधन सञ्चालन होएजँका काज सम्पन्न करबाक हमरासभक लक्ष्य अइछ ।”
वि.सं. २०६८ मे तीन सालभे सम्पन्न करबाक कहैत सुरु कएल गेल पुलके २०७८ साल अखारमे आएल बाइढ़सँ दूटा पिलर टुइट क चाइरटा स्ल्याबमे क्षति भेलाक बाद समस्या भेल अइछ । हुलाकी राजमार्गके आधार मानल जाएबला ई पुल सम्पन्न भेलाक बाद सिरहा आ धनुषाके हजारो नागरिकके कष्टकर यात्रा करबाक बाध्यता समाप्त हएत ।
प्रतिक्रिया